Great PersonMaithili QuotesMotivational

28 Powerful Jesus Christ Quotes for Positivity in Life | इशा मसीह

इशा मसीहक 28 प्रेरणादायक विचार जे जीवन बदलि सकैत अछि

[Jesus Christ Quotes] यशुक अनमोल वचन

हम अहाँसभकेँ एकटा नयाँ आज्ञा दैत छी, जेना हम अहाँसभसँ प्रेम कएलौँ, ओहिना अहुँसभ एक-दोसरसँ प्रेम करू।

सब आज्ञासभ, जेना- व्यभिचार नइँ करू, हत्या नइँ करू, चोरी नइँ करू, लोभ नइँ करू; ई सबके सार एके आज्ञामे समाहित छै: अपन पड़ोसीसँ अपने बराबर प्रेम करू।

आ ई जानि लिअ जे हम सर्वदा अहाँक सङ छी, एखनसँ युगके अन्तधरि ।

जे अपन बड़ाइ करत, से नीचाँ जाएत, आ जे अपनाकेँ विनम्र करत, तकर बड़ाइ हेत।

Read: 25+ Muhammad Yunus Powerfull Thoughts 

हम अहाँसभसँ सत्य कहैत छी, धनीक व्यक्ति स्वर्गमे प्रवेश करए लेल चाहै छै, तँ ओइसँ बेसी आसानीसँ ऊँट सुइयाक बोहरिसँ पार भ सकैत छै।

The Teachings of Jesus Christ: A Guide for Modern Life

मनुष्य केवल रोटीसँ नइँ, बल्कि परमेश्वरके मुहसँ निकलल वचनसँ जीवित रहैत अछि।

हमर राज्य ई संसारमे नइँ अछि। जँ हमर राज्य अइ संसारमे रहतियै, तँ हमर सेवक लड़ि क हमरा यहूदीक हाथमे जाएसँ बचा सकैत छल। मुदा सत्य ई छै जे हमर राज्य कतौ आओर अछि।

अपन शत्रुसँ प्रेम करू आ जे अहाँकेँ सताबैत अछि, ओकरा लेल प्रार्थना करू। अइसँ अहाँ स्वर्गमे विराजमान अपन पिताके योग्य सन्तान बनि जाएब।

Read: 25+ Inspirational Quotes of Sai Baba

कोनो व्यक्तिकेँ की फाइदा जँ ओ समग्र संसार तँ पाबि लेलक, मुदा अपन आत्माकेँ हरा देलक?

अइ लेल हम अहाँसभसँ कहैत छी, मांगू तँ अहाँकेँ देल जाएत। ताकू तँ अहाँ पाबि लेब। खटखटाउ तँ अहाँक लेल द्वार खोलि देल जाएत।

28 Inspiring Quotes of Jesus Christ

जेना पिता हमरासँ प्रेम कएलैन, ओहिना हमहूँ अहाँसभसँ प्रेम कएने छी।

देखू, हम दुआरपर ठाढ़ भऽ खटखटा रहल छी। जे हमर स्वर सुनि कऽ केबार खोलत, तँ हम भीतर आबि ओकरा सङ भोजन करब आ ओ हमरा संग।

अहाँ सबसँ प्रेम करू किएक तँ पितापरमेश्वर अपन सूर्यकेँ नीक-अधलाह दूनुपर उगाबैत छै आ धर्मी-अधर्मी दुनूपर बर्षा करैत छथि।

Read: 35+ Osho Life Changing Maithili Quotes 

अपन हृदयकेँ व्याकुल नइँ होए दियाै। परमेश्वरपर विश्वास करू आ हमरापर सेहो विश्वास करू।

परमेश्वर संसारसँ एतेक प्रेम कएलनि जे ओ अपन एकमात्र पुत्र भेज देलनि, जाहिसँ जे कियो हुनकापर विश्वास करतै, से नष्ट नइँ हो, बल्कि
अनन्त जीवन पाबए।

Jesus Christ Quotes in Maithili

जँ अहाँ खाली ओकरेसँ प्रेम करैत छी, जे अहाँसँ प्रेम करैत अछि, तँ अहाँकेँ कोन जस भेटत? स्वार्थीयो लोक तँ एहिना करैत छै न?

जे अहाँसँ किछु माँगए, ओकरा दिअ। आ जे अहाँके अपमान करए, ओकरासँ फेर नइँ माँगू। सबके सङ ओहिना व्यवहार करू जेना अहाँ अपना लेल चाहैत छी।

हमहि मार्ग, सत्य आ जीवन छी। हमरा बिना पिताधरि कियो नइँ पहुँचि सकैत अछि।

101 Kabir Dohe in Maithili 

जँ अहाँ अपना भीतरक सत्यकेँ उजागर करब तँ ओइसँ अहाँक रक्षा हेत। जँ अहाँ अपना भीतरक सत्यकेँ नइँ प्रकट करब तँ ओ अहाँकेँ नष्ट
कऽ देत।

जँ अहाँ सिद्ध बनै चाहैत छी, तँ जाउ, अपन सब सम्पत्ति बेचि कऽ दीन-दुखियामे बाँटि दियाै, आ अहाँकेँ स्वर्गमे अक्षय खजाना भेटत।

A Source of Peace and Inspiration: The Immortal Sayings of Jesus Christ

चिकित्सकके आवश्यकता स्वस्थकेँ नै, बल्कि रोगीकेँ होइत छै। हम धर्मीकेँ नइँ, बल्कि पापीकेँ पश्चाताप करेबाक लेल आएल छी।

Click and read: 21 Adi Shankaracharya Maithili Quotes 

 जँ कोनो व्यक्ति अपन भाइक प्रति क्रोध करैत अछि, तँ ओ न्यायलयमे दण्डक भागी होएत।

अपन क्रूस उठाउ आ हमर पाछू चलू। जे अपन प्राण बचेबाक प्रयास करत, से ओकरा गमा देत, मुदा जे हमरा लेल अपन प्राण गमा देत, से ओकरा पाबि लेत।

जँ अहाँमे राइके बीया जतेको विश्वास होए, तँ अहाँ ई पहाड़सँ कहबै, ‘एत सँ हँटि कऽ ओतय चलि जाउ,’ आ ओ चलि जाएत। अहाँक लेल किछो असंभव नइँ रहत।

28 Powerful Quotes from Jesus for Positivity in Life

जे परिश्रम करैत छथि आ बोझ सँ दबल छथि, ओ सभ हमरा लग आउ; हम अहाँसभकेँ विश्राम देब।

 हम अहाँसभकेँ शान्ति दऽ कऽ जा रहल छी; संसार जेना दैत छै, हम ओना नइँ दैत छी। अहाँक मन व्याकुल नइँ होए आ नइँ डराए।

Click and Read: 51+ Hazrat Muhammad Quotes Maithili।

अपन खजाना स्वर्गमे जमा करू, जत नै तँ कीड़ा लागैत छै आ नै तँ चोर चोरा सकैत छै। किए कि जत अहाँक खजाना रहत, ओत अहाँक मन सेहो लागल रहत।

About Jesus Christ in Maithili

यीशु मसीह [Jesus Christ] क जन्म बेथलेहम, यहूदियामे भेल छल। हुनक माताक नाम मरियम आ पिताक नाम यूसुफ छल। हुनकर जन्म तिथिकेँ आधार मानि कऽ वर्तमान ग्रेगोरियन कैलेंडरक गणना कएल जाइत अछि। लगभग ३० वर्षक आयुमे, ओ गाम-गाम घुमि कऽ उपदेश दैत छलाह, रोगीकेँ नीक करैत छलाह आ चमत्कार करैत छलाह। हुनकर शिक्षाक केन्द्रमे परमेश्वरक राज्य, प्रेम, दया आ क्षमा छल।

हुनकर मुख्य कार्य लोककेँ परमेश्वरक प्रति विश्वास आ पश्चाताप दिस प्रेरित करब छल। हुनकर शिक्षासभ आ बढ़ैत प्रभावक कारण, हुनका पर यहूदी धार्मिक नेतासभद्वारा आरोप लगाओल गेल आ रोमन गवर्नर पोंटियस पिलातुसक आदेश पर हुनका यरूशलममे क्रसमे चढ़ा कऽ मृत्युदण्ड देल गेल रहए। ईसाई धर्मक मान्यतानुसार, मृत्युके तीन दिनक बाद ओ फेर जिवीत भऽ गेल। हुनकर जीवन आ शिक्षासभक संग्रह “बाइबल”के बनाएल गेल अछि।

Jesus Christ

यीशु मसीह [Jesus Christ] क जन्म बेथलेहम, यहूदियामे भेल छल। हुनक माताक नाम मरियम आ पिताक नाम यूसुफ छल। हुनकर जन्म तिथिकेँ आधार मानि कऽ वर्तमान ग्रेगोरियन कैलेंडरक गणना कएल जाइत अछि। लगभग ३० वर्षक आयुमे, ओ गाम-गाम घुमि कऽ उपदेश दैत छलाह, रोगीकेँ नीक करैत छलाह आ चमत्कार करैत छलाह। हुनकर शिक्षाक केन्द्रमे परमेश्वरक राज्य, प्रेम, दया आ क्षमा छल।

Related Articles