51 Ram Bhagwan Quotes In Maithili । श्री राम भगवान प्रेरणादायी विचार मैथिलीमे
अइठाम श्री Ram Bhagwan Quotes In Maithili मे अनुवादित अछि। श्रीराम सम्बन्ध मिथिलासँ ओतबे प्राचीण अछि जतबे कि सीता । आब मैथिलीमे भगवान रामक प्रेरणादायी अनमोल वचन प्रस्तुत अछि।
“जे व्यक्ति निरन्तर शोक करै छै, से जीवनमे कहियो सुख नइँ पबैत छै।”
राम नवमी पर भगवान श्रीराम विचार
१. मात्र डरपोक आ कमजोरे लोक चीजसभकेँ भाग्यपर छोड़ै छथि, मुदा जे मजबूत आओर स्वंयमपरआश रहै छै से कहियो नियति अथवा भाग्यमे निर्भर नइँ रहै छै।
२. संतानसभकेँ लेल ओहि कर्जकेँ चूकेनाइ मुश्किल अछि जे हुनकर माए बाबू हुनका बड़का करैएके लेल कएने छै ।
३. कोनो पवित्र उदेश्यकेँ प्राप्त करबाक लेल व्यक्तिमे ई गुणसभ अवश्य रहबाक चाही..
A.. उदास या दू:खी नइँ भेनाइ
B. अपन कर्त्तव्य पालन करबाक क्षमता,
C. कठिनाइ काल पाछू नइँ बचबाक जिद्द !
४. जँ जीवित रहबै तँ सुख आ दुःख आओर आनन्द कहियो ने कहियो अवश्य हएतै ।
५. सर्वनाशके प्रमुख तीनटा कारण अछि…
१. दोसरकेँ पत्नीमे कुदृष्टि, २. अनकर धन चोरी, 3. अपन मीत्रके चरित्रमे शंका!
Bhagwan Ram Inspirational Quotes In Maithili
६. रिस एहन शत्रुघन अछि जकर मूह कान अपने मित्र जकाँ लगतै छै ।
७. कोनो व्यक्तिके वास्तविक अवस्थाके ज्ञान ओकर आचरणसँ होइ छै।
८. वीर आ बलवान पुरूष कहियो क्रोधित नइँ होइ छथि ।
९. सभकेँ मूह ओकर भतरके विचारधाराकेँ प्रतिविम्बित करैत छै । एकरा नुकेनाइ लगभग असम्भव अछि ।
१०. जे व्यक्ति निरन्तर शोक करै छै से जीवनमे कहियो सुख नइँ पबैत छै।
Ram Bhagwan Quotes In Maithili
११. रिस्तेदारीके हालसँ हम परिचित छियै, रिश्तेदारके समस्यामे रिश्तेदार खुशी मनाबैत छै।
१२. अपन जीवनकेँ अन्त करि देनाइ कहियो उचित बात नइँ छियै, आनन्दके रस्ता धेने जीवनके यात्रा आगू बढ़ैत छै।
१३. उत्साह हीन, निर्बल तथा दुखी व्यक्ति कहियो कोनो नीक काम नइँ क’ सकै हइ। अन्त: उ रसे रसे दु:खके गहीर खाधिमे डुबैत जाइ हइ।
१४. बिना पानिके मेघ गरजलापर वर्षा नइँ भ’ जाइ छै,
तहिना सच्चा वीर आ पहवान फोकटमे नइँ गरजै छथि।
ओ युद्धमे मात्र अपन महारथ देखाबै छै।
51+ Swami Vivekananda Inspirational Quotes in Maithili
१५.सत्यवादी कहियो झुठ बचन नइँ दैत अछि,
देल बचनके पालन कएनाइ हुनक महानता छियै।
Bhagwan Ram Inspirational Quotes In Maithili
१६. पतिव्रता पत्निके नोर धरतीमे बेकारे नइँ गिरैत छै,
जकर कारणसँ गिरैत छै ओकर विनाश निश्चित अछि।
१७.अज्ञानी व्यक्ति, चाहे ओ अहाँके गुरू, बाबू वा
उमेरमे बड़का किएक ने रहै।
हुनका सही दिशा देखेनाइ परम आवश्यक अछि।
Ramayan Quotes In Maithili
१८. झुठ बाजैएबला व्यक्तिसँ एहिना डरैए छै लोक
जेना एक विषधर साप हो ।
१९. चाहे चानके सुन्दरता चलि जाए,
हिमालय हिम रहिते किएक ने भ जाए ,
समुन्दु भलहि सुखि जाए तइयो
हम बाबू जीके देल बचन नइँ तोड़बै।
२०.उत्साहमे अपार शक्ति होइत छै,
उत्साहित व्यक्तिके लेल किछु असम्भव नइँ रहै छै।
Ram Bhagwan Quotes In Maithili
२१. जानि बूझिके मरैए लेल जाए रहल व्यक्तिकेँ
नइँ त कोनो नीक विचार सुनै छै नइँ त सोहाइ छै।
२२.बोलैएसँ पहिने शब्द मनुख्खके वशमे रहैत छै,
मुदा बाजलाक बाद शब्दके वशमे मनुख्ख भ’ जाइत छै।
२३.बाजल गेल शब्द एहन चीज अछि
जाहिसँ व्यक्ति मोनमे उतरि जाइ छै,
अथवा मोनसँ उतरि जाइ छै।
२५.अपन बातकेँ सदैव ध्यान होसपूर्व कहू ,
किए कि अहाँ ओहि बातकेँ बातकेँ बिसरि जेबै
मुदा लोककेँ यादे रहै छै।
Ram Bhagwan Quotes
२६.नदीमे खसैएसँ कहियो केकरो मृत्यु नइँ भेल छै,
मृत्य तब होइ छै जब ओकरा हेलैए लेल नइँ होइ छै।
२७.परिस्थिति अपनासभहक लेल समस्या नइँ बनै छै,
समस्या तखन बनै छै जखन परिस्थितिसँ लड़’ नइँ आबै छै।
२८. जे पाप अहाँ क’ रहल छियै ओ बाटल नइँ जाएत।
Ram Bhagwan Quotes In Maithili
२९. जननी आ जन्मभूमि स्वर्गोसँ बढ़िके अछि।
३०. दोस्ती आ दुश्मनी बराबरीमे करबाक चाही।
३१. गुलामीकेँ तिरस्कार अछि।
Ram Bhagwan Quotes
३२.एहने बिचार करिके अहाँ दु:खी नइँ बनू कि विधाताके लिखल नइँ मिट सकै छै।
Bhagwan Ram Inspirational Quotes In Maithili
३३. सहयोग आ समन्वय करैएबलाके सदैव जीत होइ छै।
३४.बहुत रगड़लापर चन्दनोसँ आगि उत्पन्न भ’ जाइ छै,
ओहिना अवज्ञा कएल गेलापर
ज्ञानीके मनमे सेहो क्रोध उत्पन्न भ’ जाइ छै।
३५. नीचके नम्र भेनाइ अत्यन्त दुखदायी अछि
किए कि धनुष ,सांप आ
बिलाइ झुकिके आक्रमण करैत छै।
३६.संसारमे एहन लोक कमे हएत,
जे कठोर मुदा बिल्कुल सत्य बात कहत ।
३७.दु:ख आ विपत जीवनके एहन पाहुन छियै,
जे बिना बजाएले आबि जाइ छै ।
३८.समस्या अन्तके दिसन संकेत नइँ करैत छै,
बल्कि रस्ताकेँ खोजैए लेल प्रेरित छै।
३९.नवका सपना देखैएके आ नवका लक्ष्य बनाबैएके
कोनो उमेर नइँ होइ छै।
४०. एहिसँ फरक नइँ पड़ैत छै कि अहाँ कतेक रसे रस चलैत छी, जा धरि रूकबै नइँ ।
Ram Bhagwan Quotes In Maithili
४१.अपन आखिँकेँ आकाशके दिसन राखू आ
टाङ्गकेँ जमीनपर ।
४२.जँ कोनो व्यक्ति कमजोर छथि,तँ हुनका
तागतवरे जकाँ प्रदर्शित करबाक चाही।
४३.कहियो काल अपन रहस्यकेँ केकरो नइँ बताउ,
नइँ ई बात अहाँके बरबाद क’ सकैए।
४४.जे अहाँक कुमित्र अछि,हुनकापर
कहियो विश्वास नइँ करबाक चाही मुदा जे
मित्र अछि हुनकापर सेहो आखिँ मुनिके
विश्वास नइँ करबाक चाही।
४५. जे लक्ष्यकेँ ठानि लेने छियै,
जा पूरा नइँ हएत ता नइँ कहबाक चाही।
Ram Bhagwan Quotes In Maithili
४६. नीक लोकसभके सङ्गघतमे खराबसँ खराब मनुख्ख नीक व्यवहार कर’ लागैत छै।
४७.अपन घरके छोड़ि क’ आओर केकरो घरमे रहनाइ
कोनो पीड़ासँ बेसी कष्टदायी अछि।
४८.जतसँ होइ ओतहिसँ शुरू करू,जे अहाँक सङ्गमे अछि
ओकरे उपयोग करू आ जे अहाँ क’ सकैत छी ओएह करू।
४९. आपसी फूट मनुख्खकेँ नष्ट क’ दैत छै।
Ram Bhagwan Quotes In Maithili
५०. सबके मित्रताके पाछू कोनो न कोनो स्वार्थ नुकाएल रहैत छै, ई बड़का सत्य अछि,एह वास्तविक सेहो अछि।
५१.सब मनुख्खमे दया,प्रेम तथा अपनसँ नम्हरके लेल
सम्मानके भावना हएबाक चाही।
Ram Navami Quotes.
राम नवमी मैथिलीमे
राम नवमी हिन्दू धर्मावलम्बीसबके एकटा पावनि अछि । ई पावनि चैत्र महिनाक शुक्ल पक्षके नवमी तिथिक दिन मनाएल जाइ अछि । प्रख्यात हिन्दू धर्म ग्रन्थ रामायणके अनुसार अइ दिनकेँ भगवान् श्री राम चन्द्रके जन्म दिनक रूपमे लेल जाइत छै। ई पावनि चैत्र नवरात्रके बीचमे एलासँ अइ दिनके भगवान् श्री राम के संगे आद्य शक्ति नव दुर्गा देवीके सेहो पूजा कएल जाइत अछि ।