Maithili QuotesSpecial Person

Muhammad Ali Powerful Quotes | बॉक्सर मुहम्मद अली

जे जोखिम लेबाक साहस नइँ राखत से अपन जिनगीमे किछ प्राप्त नइँ कऽ सकत ।

Muhammad Ali , एकटा पूर्व अमेरिकी पेशसँ बक्सर छलाह, जे व्यापक रूपसँ खेल इतिहासमे मुहम्मद अली विश्वके एकमात्र Heavy Weight चैंपियन छथि, जे तीन बेर Laureus World Sports Awards  जीतलनि, १९६४, १९७४, आ १९७८ मे खिताब जीतलनि। २५ फरवरी, १९६४, आ १९ सितंबर, १९६४क बीच अली हैवीवेट मुक्केबाजी चैंपियनक रूपमे शासन कएलनि।।  हुनका बीबीसीसँ स्पोर्ट्स पर्सनालिटी ऑफ द सेंचुरी आ स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेडद्वारा स्पोर्ट्समैन ऑफ द सेंचुरीक सम्मान भेटल अछि।

बॉक्सर मुहम्मद अलीके विचार

1. हम कहियो हारएके बारेमे नइँ सोचलहुँ। मुदा जब हारि गेल छी, त एक मात्र उपाय एकरा कोना ठीक करब से अछि। सबके जीवनमे हारके सामना करए पडत।

 

2. जेकरा हारि जेबाक अर्थ थाह छै, मात्र सएह व्यक्ति से अपन बराबरिके प्रतियोगितामे आत्माके सतहसँ भितरके शक्ति जीतके लेल निकालि सकै छै।

 

3. जे अहाँ सोचि रहल छियै, से अहाँ बनि रहल छियै।

Muhammad Ali’s Inspirational Sayings

4. बिन डरके अपनासभ बहादुर नइँ भ सकबै।

 

5. अहाँ दिन नइँ गिनु, दिनके सार्थक बनाबैमे ध्यान लगाउ।

 

6. हमर लक्ष्य, हमरा निरन्तर चलैके प्रेरणा दै छै।

Muhammad Ali: A Voice for Change

7. हमर सबसँ कठिन लड़ाइ, हमर पहिनुकबा घरबालीसँ रहए।

 

8. टिकली सन उडु आ मधुमाछी सन काटू।

 

9. दोसरके सेवा कएनाइ, पृथ्वी परहक डेराक कर्चाके चुकेनाइ अछि।

 

10. ई डींग मारब नइँ छियै, जँ अहाँ सचमुच कए सकबै त।

 

11. अल्लाह सबसँ महान छथि। त हम एखन धरिक सबसँ विशिष्ट बक्सर छी।

 

12. बाैद्धिकता ई जानएमे अछि जे कखनि अहाँ बुद्धिमान नइँ भ सकबै।

 

13.जकरा लग कल्पना नइँ छै, तकरा उड़एके लेल कोनो पैंखा सेहो नइँ अछि।

 

14. विनम्र रहब मुश्किल छै, जँ अहाँ हमरे जकाँ महान छियै त।

 

15. अपन सपनाकेँ साकार करएके सबसँ नीक तरीका अछि जागि जाउ।

Muhammad Ali: Words That Pound Like a Hammer

16. बॉक्सिंग मतलब बहुत रासँ करिया आ गोरका लोकसभके अपनेमे लडाइ करैत देखनाइ समान अछि।

 

17. हमसबसँ महान छी, ई हम तहिया कहने रही, जहिया हमरा थाहो नइँ छलै कि हम छियै।

 

18. माैनता बहुत बढिया अछि, जँ अहाँ केकरो जवाब सोचने नइँ रहबै तखन।

 

19. प्रेम, करूणा आ हार्दिकताके अनुभवके बात होइ छै त हम सागर जकाँ छियै।

View More: 25 Love, Breakup Emotional Quotes। Heart Breaking Painful ,

51+ Breakup Sad emotional Quotes Maithili । Painful दर्द भरल

20. हम इस्लाम धर्ममे विश्वास करै छी। हम अल्लाह आ शांतिमे विश्वास करै छी।

The Inspirational Legacy of Muhammad Ali’s Quotes

21. जँ अहाँ हमरा हरेबाक सोचियो रहल छियै त, अहाँक लेल ई नीक रहत जे हमरासँ अखने माफी मागि लिय।

22. हमर मजाक करएके तरीका अछि, साँच बात मुंहपर बाजि देब। ई दुनियाक सबसँ बड्का मजाक छियै।

 

23. जे जोखिम लेबाक साहस नइँ राखत से अपन जिनगीमे किछ प्राप्त नइँ कऽ सकत ।

 

24. जे हमर दिमाग सोचि लेत आ हृदय विश्वास करि लेत त ओकरा हम प्राप्त करि लेबै।

मुहम्मद अली: विश्वास पर विचार

25. उमेर ओ छियै जते ओकर बारमे सोचै छियै । अहाँ ओतबेक बुढ छियै जतबे अपना बारेमे विश्वास राखै छियै।

 

26. जीवनके सबसँ नम्हर जीत ओइ चीजसभसँ उपर उठि जाएब छियै जकरा कहियो बहुत बेसी महत्व दैत रहियै।

 

27. चैंपियंस जिममे नइँ बनाएल जाइ छै। चैंपियंस – इच्छा शक्ति, सपना आ विज़नसँ बनै छै। हुनका लग कौशल आ इच्छाशक्ति हेबाक चाही। लेकिन इच्छाशक्ति कौशलसँ बेसी रहबाक चाही।

View this:  101+ Albert Einstein Maithili Quotes । अल्बर्ट आइन्स्टाइन Inspire, Amazing

28. अपनासभके एकेटा जिवन अछि, जल्दिए ई समाप्त भ जाएत। जे भगवानके लेल करै छियै सएह बचत।

 

29. ट्रेनिंगके प्रत्येक मिनेटसँ हम घृणा करैत रहियै, मुदा हम स्वंयसँ कहलियै – हार नइँ मान, अखनि सहि ले आओर अपन बाकी जिनगी एगो चैंपियन जकाँ जिबियह।

 

30. जँ उ गोबरछत्ताक ढुसीसँ पेनिसिलिन बनि सकै छै त अहाँ निश्चित रूपसँ किछ ने किछ अवश्य बना लेबै।

मुहम्मद अलीके प्रेरक वचन

31. हम स्वर्ण पदक जीत चुकल छलहुँ। मुदा एकर कोनो मतलब नइँ छल कि हमर चमडीके रंग ठीक नइँ छलै।

 

32. हम एतेक तेज छी जे काल्हि राति हम होटलक कमराक बत्ती बंद कऽ देलहुँ आ अन्हार हेबासँ पहिने अपन बिछौनामे छलहुँ।

 

33. आगुमे रहल पहाड़ नइँ जे अहांक थकाए देत। उ चुतामे रहल गीट्टी छियै जे अहाँक थकाए देत।

मुहम्मद अली: साहस पर विचार

34. हम घर पर बढ़िया व्यक्ति छी। मुदा हम नइँ चाहैत छी जे दुनिया इ जानए। हम देखलहुँ जे विनम्र लोक बेसी आगू नइँ बढ़ैत छथि।

 

35. कथन पुनरावृत्ति आत्मविश्वास उत्पन्न करैत अछि। आ एक बेर जखन ओ विश्वास गहींर विश्वासमे बदलि जाइत अछि तखन बात यथार्थमे बदैल जाइ छै।

The Wit and Wisdom of Muhammad Ali

36. दोस्ती एहन चीज नइँ छियै जे अहां स्कूलमे पढाइ सीखै छी। मुदा जँ अहाँ मित्रताक अर्थ नइँ सीखलियै तँ अहाँ वास्तवमे किछु नइँ सीखने छी।

 

37. लोकसँ अइ दुवारे घृणा नइँ करबाक चाही जे उ कारी छै। इ मतलब नइँ राखै छै जे कोन रंगसँ घृणा करै छियै। इ सरासर गलत अछि।

 

38 . हमरा थाह छै जे हम कत जाए रहल छियै। हमरा उ नइँ बनबाक छै जे अहाँ चाहै छियै।

 

39. जे व्यक्ति पचाँसके उमेरमे दुनियाकेँ ओहने देखै छै जेना उ बीस सालके उमेरमे दखैत छलै, त उ अपन जीवनके तीस साल बर्बाद करि देलकै।

Muhammad Ali Powerful Quotes

Muhammad Ali

मुहम्मद अली: महानता पर विचार

40. एक महान चैंपियन बनए लेल अहाँके अइ बातमे विश्वास राखए परत कि अहाँ सर्वश्रेष्ठ छी। नइँ त भितरसँ प्रयास करू कि अहाँ बनि रहल छियै।

 

41. इतिहासमे असली महान लोक कहियो अपने लेल महान बनए नइँ चाहैत रहै। ओ दोसरके भला करि इश्वरके नजदिक होए लेल चाहैत रहै।

 

42. नदी, तलाब, पोखरि, – सब अलग अलग नाम अछि। मुदा अइसबमे पानि रहै छै, ठीक तेहने जतेक धर्म अछि ओइमे सत्य रहै छै।

 

 

Muhammad Ali

Muhammad Ali , एकटा पूर्व अमेरिकी पेशसँ बक्सर छलाह, जे व्यापक रूपसँ खेल इतिहासमे मुहम्मद अली विश्वके एकमात्र Heavy Weight चैंपियन छथि, जे तीन बेर Laureus World Sports Awards जीतलनि, १९६४, १९७४, आ १९७८ मे खिताब जीतलनि। २५ फरवरी, १९६४, आ १९ सितंबर, १९६४क बीच अली हैवीवेट मुक्केबाजी चैंपियनक रूपमे शासन कएलनि।।

Related Articles