Special PersonMaithili QuotesMotivational

25+ Muhammad Yunus Powerfull Thoughts | मुहम्मद यूनुस प्रेरणादायी विचार

गरीबक मसीहा नोबेल पुरस्कार विजेता मुहम्मद यूनुस प्रसिद्ध विचार

Muhammad Yunus, मुहम्मद यूनुस एकटा बांग्लादेशी उद्यमी, बैंकर, अर्थशास्त्री, राजनीतिज्ञ आ नागरिक समाजक नेता छथि.  हुनका २००६मे नोबेल शान्ति पुरस्कारसँ सम्मानित कएल गेल छल। हुनका २००९ मे अमेरिकाक प्रेसिडेंशियल मेडल ऑफ फ्रीडम आ २०१० मे कांग्रेसनल गोल्ड मेडलसँ सम्मानित कएल गेल छलै । २००८मे विदेश नीति अपन शीर्ष १०० विश्वस्तरीय विचारकक सूचीमे दोसर स्थान पर छल।

मुहम्मद यूनुसक प्रेरणादायी विचार

व्यवसाय समस्या समाधानके लेल एगो बहुत सुन्दर पद्धति अछि, मुदा अपनासभ एकर उपयोग ओइ उद्देश्य लेल कहियो नइँ करै छी। ओ एकर उपयोग मात्र पाइ कमाबए लेल कएल जाइ छै।
– मोहम्मद यूनुस

 

विकासकेँ मानवाधिकारक मुद्दाक रूपमे देखल जेबाक चाही, कुल राष्ट्रीय उत्पादन (जीएनपी) बढ़एबाक लेल नइँ।
– मोहम्मद यूनुस

Muhammad Yunus: Quotes on Social Change

हँ, प्रविधि महत्वपूर्ण छै, मुदा वास्तवमे ई मायने रखैत अछि जे हम एकरा कोनाके उपयोग करै छी?
– मोहम्मद यूनुस

 

हम अपन छात्रसभकेँ नौकरी आ कैरियरक लेल तैयार करैत छी, मुदा हम ओइ व्यक्तिके बारेमे नइँ सिखाबैत छी जे अइ तरहक दुनियाकेँ निर्माण करत।
– मोहम्मद यूनुस

 

सभ्यता हमरासभकेँ चन्द्रमा पर जएबाक लेल बहुत सफलता देलक अछि, मुदा इएह सभ्यता हमरासभकेँ ऋण, वातावरणीय सङ्कट आ कतेको प्रकारक संकटमे देलक अछि। हमरा एकटा एहन सभ्यताक जरूरति अछि जतए अइ सब संकटकेँ अलविदा कहि सकब।
– मोहम्मद यूनुस

 

गरीब जीवित अछि, ई तथ्य हुनक क्षमताक स्पष्ट प्रमाण अछि।
– मोहम्मद यूनुस

The Power of Social Business: Quotes by Muhammad Yunus

हम गलत पूंजीवादी व्यवस्था बनौने छी। हमसभ मानैत छी जे मनुष्यके एकेटा उदेश्य अछि, जे ओ मात्र पैसा कमाबैत रहए, तेँ हम पाइ पर केन्द्रित एकटा एहन संसार बनौने छी।
– मोहम्मद यूनुस

 

असीमित मानव रचनात्मकताक संग अभूतपूर्व तकनीकी क्षमता हमरा सभकेँ गरीबी, बेरोजगारी, बीमारी, आ पर्यावरणीय संरक्षण सन गम्भीर समस्यासँ लड़बाक शक्ति देलक अछि। अइ असाधारण क्षमताकेँ सार्थक परिवर्तनमे बदलब अखनके चुनौती अछि।
– मोहम्मद यूनुस

 

गरीबी सब मानवाधिकारक अभाव अछि।
– मोहम्मद यूनुस

Muhammad Yunus on Changing the World, One Idea at a Time

अपन समाजमे गरीबी आ आर्थिक सङ्कटक त्रुटिसभकेँ दूर करबाक लेल हमरासभकेँ सामाजिक जीवनके कल्पना करबाक आवश्यकता अछि। जँ अहाँ कल्पना नइँ करैत छी जे ओ कहियो पुरा नइँ होएत, तइ ओकर कल्पना करबाक आवश्यकता अछि।
– मोहम्मद यूनुस

 

एक दिस स्वार्थक अभिव्यक्ति अछि आ दोसर दिस निस्वार्थताक अभिव्यक्ति अछि – मुदा अर्थशास्त्री वा सिद्धांतकार ओइ भागकेँ कहियो नइँ छूबने सकल। ओ कहलखिन, ‘जाउ आ परोपकारी बनू’। हम कहलियै जे, “नइँ, हम व्यापारिक दुनियामे ओ कऽ सकैत छी, एकटा अलग तरहक व्यवसाय बना सकैत छी – निस्वार्थता पर आधारित व्यवसाय।
– मोहम्मद यूनुस

 

गरीबी मनुष्य पर एकटा बाहरी, कृत्रिम थोपल गेल अछि, ई मनुष्यमे जन्मजात नइँ अछि। जे ई बाहरी अछि, त एकरा हटाएल जा सकैत अछि। बस ई के करए से सवाल अछि।
– मोहम्मद यूनुस

view: Rabindranath Tagore Motivational Quotes in Maithili । 

लोक गरीब नइँ छलै किएक तँ ओ मूर्ख वा आलसी रहए। ओ सभ गरीब रहै किएक तँ देशक वित्तीय संस्था हुनका अपन आर्थिक आधारकेँ व्यापक बनएबामे सहायता नइँ कएलकै।
– मोहम्मद यूनुस

Quotes from Muhammad Yunus: The Man Behind Microfinance

एक बेर गरीबी खतम भेलाक बाद, एकर भयावहताकेँ अगिला पीढ़ीकेँ देखेबाक लेल सङ्ग्रहालय बनाबएके आवश्यकता पडत। हुनका सभकेँ आश्चर्य करए पड़त जे मानव समाजमे एतेक दिन धरि गरीबी किएक बनल रहल?
– मोहम्मद यूनुस

 

पैसा कमाएब सुखद अछि। दोसरके खुश करएमे बहुत खुशी होइत छै।
– मोहम्मद यूनुस

 

सबसँ पैघ चुनौती लोकके मानसिकता बदलब अछि। मानसिकता हमरा पर गजब चाल खेलैत अछि। अपनासभ चीजकेँ ओहिना देखैत छी जेना अपन मन अपन आँखिकेँ देखबाक निर्देशन देलक अछि ।
– मोहम्मद यूनुस

Muhammad yunus
Muhammad yunus

महिलाक माध्यमसँ घरमे प्रवेश करएबला धन पूरा परिवारकेँ बेसी लाभ दैत अछि।
– मोहम्मद यूनुस

 

ई पूँजीकेँ नियंत्रित करबाक क्षमता अछि जे लोकसभकेँ गरीबीसँ बाहर निकलबाक शक्ति देत।
– मोहम्मद यूनुस

 

मनुष्यके उदेश्य मात्र पाइ कमाबएसँ बेसी अछि।
– मोहम्मद यूनुस

Muhammad Yunus: Quotes on Empowerment

मनुष्यमे प्रचुर लचीलापन होइत अछि।
– मोहम्मद यूनुस

 

हमर अनुभवमे गरीब लोक दुनियाक सबसँ पैघ उद्यमी छथि। ओ सभ गरीब रहैत छथि किएक तँ हुनका लग अपन रचनात्मकताकेँ स्थायी आयमे बदलबाक मौका नइँ होइत छै।
– मोहम्मद यूनुस

 

नीक आर्थिक सिद्धांतकेँ लोकसभकेँ जीवन बनेबाक लेल अपन प्रतिभाक प्रयोग करबाक मौका देबाक चाही।
– मोहम्मद यूनुस

 

हम बैंक गेलहुँ आ गरीबकेँ ऋण देबाक प्रस्ताव देलहुँ। बैंकरसभ लगभग ढहि गेल ।
– मोहम्मद यूनुस

Read Also: 25+ Inspirational Quotes of Sai Baba | साई बाबा

नीक शिक्षाक पहुँच हमरा ओइ बांग्लादेशी गामसँ बहुत आगू बढ़बामे सक्षम कएलक, जइमे हम पलल-बढ़ल छी।
– मोहम्मद यूनुस

 

पैसा पैसा खींचैत अछि। जँ अहाँक लग पाइ नइँ अछि तँ अहाँ दोसरक दया पर केकरोसँ कर्जा लेबाक प्रतीक्षा करैत छी।
– मोहम्मद यूनुस

 

परिवर्तन गहन प्रयासक परिणाम अछि।
– मोहम्मद यूनुस

 

हम मानतै छी, जे हम गरीबी मुक्त दुनियाक निर्माण कऽ सकैत छी, किए तँ गरीबी गरीब लोकसभद्वारा नइँ बनाएल जाइ छै।
– मोहम्मद यूनुस

 

सभ मनुष्य जन्मजात उद्यमी छथि। किछु गोटेकेँ ओ क्षमता देखाबएके मौका भेटैत छै आ किछुकेँ कहियो मौका नइँ भेटैत छै, कहियो नइँ जानैत छै जे हुनका लग ई क्षमता छै।
– मोहम्मद यूनुस

 

६ अगस्त, २०२४केँ संसद भंग भेलाक बाद बांग्लादेशक राष्ट्रपति मोहम्मद शहाबुद्दीन पूर्व प्रधानमन्त्री शेख हसीनाक राजिनामाक बाद छात्रसभक माँगक अनुसार यूनुसकेँ बांग्लादेशक अंतरिम सरकारक प्रमुख नियुक्त कएलनि। ओ ८ अगस्त २०२४केँ बांग्लादेशक अंतरिम सरकारक मुख्य सलाहकारक रूपमे पदभार सम्हारलनि। [Wiki]

Read Also: Muhammad Ali Powerful Quotes | बॉक्सर मुहम्मद अली

Related Articles