Maithili QuotesSpecial Days

Best No.1 Maithili Poem: मैथिलीक झण्डा | मैथिली कविता

डा. मनोरंजन झा [Dr. Manoranjan Jha] द्वारा लिखित मातृभाषा प्रति हुनक प्रेम अटुट छै। ई सीताके भाषा छियै। मैथिली सबहक ओतबे अधिकार छै। तहिना कवि मैथिलीकेँ बान्हिक राखनिहार प्रति ई मैथिली कविता चोख भाला विनम्रता संग भोकैत अछि।

Here is The Best Poem for Maithili…

मैथिलीकेँ नइँ बान्हियौ आशा, उषा, आ निशाके दुपट्टामे,
एकरा जाए दियौ घस छिलनीके छिट्टामे,
भिख मङ्गनीके बट्टामे,
नइँ, जँ कण्ठ मोकिक मैथिलीकेँ राखबै,
झा जीके पानपर, मिसर जीक दलान पर,
पाठक जीके खरिहान पर,
तँ छिछियाक मैथिली परौती, लहठा बथान पर,
बगलमे बहैत छथिन कोशी
कूदिक आत्महत्या कऽ लेती !

25+ Heart Breaking Painful, Emotional Maithili Quotes

Best Maithili Poem…

तँए मैथिलीकेँ जाए दियौँ,
मोलबी साहेबके टोपी, सिँह जीक दलान पर,
पासवान जीक ओसरा, यादव जीक बथान पर,
सीतामढ़ीके आङ्गन, पूर्णियाकेँ दलान पर,
भाषाके पानि जखन जरिमे ढरेतै,
तखन मैथिलीक झण्डा आकाशमे फहरेतै।

मैथिली कविता लेखक

डा. मनोरंजन झाद्वारा लिखल मातृभाषाक प्रति हुनक प्रेम अटूट अछि। ई सिताके भाषामे मैथिलीकेँ सर्वोच्च अधिकार अछि। हुनका मैथिली आदत आ साहित्य बेसी प्रिय अछि। हुनक कविता ‘मैथिलीके नै बान्हियाै’ मैथिलीक प्रिय कविता मानल जाइत अछि। मैथिलीक जीवनशैली आ सामाजिक विविध पक्षकें समेटने छै। भाषा कोना मरै छै तथा एकरा प्रति लोकमे आत्मगाैरव कोना खत्म होइछै? से अइ कविताके माध्यमसं जनजीवनमे देखि सकब। मुदा अइ कवितामे समाधान सेहो देल गेल छै। जे “एकरा जाए दियाै खस छिलनीके छिट्टामे” विभिन्न कोनसं समाधानक बात करब अइ कविताके विशेषता अछि।

11+ मातृभाषा पर विचार | Mother Tongue Quotes in Maithili

डा. मनोरंजन झा अपन कवितामे सामुदायिक समावेशी, वर्गीय तथा जातिय एकताकें अपन कवितामे अत्यंत सौन्दर्य आ संवेदनशीलताक संग प्रस्तुत कयने छथि। हुनक लेखनमे मैथिली भाषा आ साहित्यकेँ गहराई अछि जे मैथिली समुदायक सांस्कृतिक उन्नतिमे सहायक हेत।

51+ Breakup Sad emotional Quotes Maithili

डा. मनोरंजन,  मैथिली कविता लेखनमे एकटा नव आ सुन्दर स्वरक परिचय देलक अछि, जे मैथिली भाषाक महत्व आ गरिमाकेँ प्रज्वलित करबामे सहायक अछि। हुनक कवितामे मैथिलीक ऐतिहासिक, सांस्कृतिक, आ सामाजिक पहिचानक महत्व समावेश अछि। अतः डा. मैथिली साहित्यमे महत्वपूर्ण योगदान देनिहार व्यक्तित्वक रूपमे मनोरंजन झा जानल जाएत।

Gajendra Gajur

Hello I am Gajendra Gajur. Developer of Quotes in Maithili.

Related Articles