A.P. J. Dr. Abdul Kalam Quotes Maithili - अब्दुल कलाम



अवुल पकिर जैनुलाब्दीन अब्दुल कलाम भारतके महान वैज्ञानिक छलथि।  भारतक पूर्व राष्ट्रपति, प्रसिद्ध वैज्ञानिक आ अभियन्ता सेहो रहथि। डा. कलाम अविवाहित रहथि। विद्यार्थीसभके लेल महान आदर्श कलाम छथि।
A. P. J. Abdul Kalam Quotes in Maithili



1.केकरो हरेनाइ बहुत आसान छै, लेकिन केकरो जीतेनाइ बहुत मुश्किल छै।



2. कि अपनासभ ई बात नइँ जानै छियै जे आत्मसम्मान , आत्म निर्भरताके सङ्ग आबै छै।


3. कृत्रिम सुखके बदला ठोस उपलब्धिसभमे समर्पित रहू ।


4.भगवान, अपना सबकेँ बनाबैबला अइ दिमागमे आ व्यक्तित्वमे असीमित शक्ति आ क्षमता देने छथि। भगवानके प्रार्थना कएलासँ अइ शक्तिकेँ विकास करबामे मद्दत मिलैत छै।

Abdul Kalam Motivational Quotes in maithili


5. हम अइ चीजकेँ स्वीकार करबाक लेल तयार रहियै, जे किछ चीजसभकेँ हम नइँ बदैल सकबै।


6. महान सपना देखैबलाके महान सपना सदैैव पूरा होइ छै।


7. जँ कोनो देशके भ्रष्टाचार मुक्त आ सुन्दर मनबला लोकसभके देश बनेबाक अछि तँ,हम मानै छी ई समाजके तीन प्रमुख सदस्य करि सकै छै। माए, बाबु, आओर गुरू ।



8.यदि हम स्वतंत्र नइँ रहबै तँ कोइ अपनासभकेँ आदर नइँ करत।


9. चलू, अपनासभ आइके बलिदान करि दे छी , ताकि अपनासभके बच्चाके भविष्य उज्जवल भ सकए।



10. आकाशके दिस देखू । अपनासभ असगरे नइँ छियै। पुरा ब्रह्माण्ड अपनासभके लेल अनुकूल छै, आओर जे मेहनत करै छै तकरा प्रतिफल देबाक षड्यन्त्र रचै छै।



11.मानवकेँ समस्याके आवश्यकता रहै छै, किएकि सफलताके आनन्द उठेबाक लेल ई बहुत जरूरी अछि।



12. कोनो धर्मकेँ बनाएक रखबाक लेल दोसरकेँ मारनाइ अनिवार्य नइँ अछि।




13. अइसँ पहिने कि अहाँके सपना सत्य होइ , तइसँ पहिने अहाँके सपना देखए परत।


14. ताबे धरि लडनाइ नइँ छोडे, जा धरि अपन तय कएल जगह पर नइँ पहुँच जाइ छियै, इहे अद्धितीय छियै अहाँ। जिन्गीमे एक लक्ष्य राखू , निरन्तर ज्ञान प्राप्त करू, कडा मेहनत करू, आओर महान जीवनकेँ प्राप्त करबाक लेल दृढ रहू।




15. उत्कृष्टता एक निरन्तर प्रकिया छै,कोनो दुर्घटना नइँ छियै ।




16. जँ तु सुरूज जँका चमै ल चाहै छी तँ पहिने सुरूज जँका जरनाइ सिख ।


17. हार नइँ मानबाक चाही, समस्या अहाँके कहियो हराए नइँ सकए ।


18. शिक्षण एगो बहुत महान पेशा अछिय जे कोनो व्यक्तिके चरित्र, क्षमता, आओर भविष्यकेँ आकार दै छै। जँ हमरा लोक नीक शिक्षकके रूपमे याद राखै छै, तँ हमरा लेल सबसँ महान सम्मान हेतै।



19.राष्ट्रपति पदके राजनीतिकरण नइँ कएल जेबाक चाही। एकबेर राष्ट्रपति चुनि लेल जाए, तँ उ राजनीतिसँ उपर अछि।

Kalam inspirational Quotes in maithili

20. हम मानै छियै जे कम उमेरमे अहाँ बेसी आशावादी रहै छियै, आओर अहाँमे कल्पनाशीलता सेहो बेसी रहै छै। अहाँमे पूर्वाग्रह सेहो कम रहै छै।




21. जेे अपन हृदयसँ काम नइँ करै छै तकरा जँ सफलता मिलै छै, तँ बस्स खखरी , अधुरा मनसँ मिलल सफलता अगल बगल कड़वाहट पैदा क’ दै छै।


22. हमरा लेल, नकारात्मक अनुभव नामके कोनो चीज नइँ छै।


23.एगो लोकतन्त्रमे, देशके समग्र समृद्धि, शान्ति आओर खुशीके लेल प्रत्येक नागरिकके कुशलता,वैयक्तिकता आओर खुशी आवश्यक छै।


Student Motivational Quotes


24. देखू, भगवान ओ करे सहयोग करै छै जे कडा मेहनत करै छै । ई सिद्धान्त विल्कुल स्पष्ट छै।



25. कोनो विद्यार्थीके सबसँ जरूरी विशेषतामेसँ एक अछि जे प्रश्न कएनाइ। विद्यार्थीके प्रश्न पूछै लेल दियाै।



26. विज्ञान विभिन्न जातिके बीच अन्तर नइँ करै छै।




27. राष्ट्र जनतासँ मिलके बनै छै। आओर ओ कर प्रयाससँ , कोनो राष्ट्र जे किछु चाहै छै तकरा प्राप्त क’ सकै छै ।



28. जत हृदयमे सत्यता रहै छै, ओ इ घरमे सामंजस्य रहै छै; जखन घरमे सामंजस्य रहै छै,तँ देशमे एगो व्यवस्था रहै छै। जब देशमे व्यवस्था रहै छै तब विश्वमे शान्ति रहै छै।


29. शिक्षाके उदेश्य शीप आओर विशेषज्ञताके सङ्ग नीक मानव बननाइ अछि।




30. जेकि बच्चा सबसँ अलग बनबाक लेल संघर्ष करै छै, तँ ओ कर चारूकातके दुनियाँ पूरा प्रयास करै छै जे बाकी लोक जकाँ बनल रहूँ।


31. अर्थव्यवस्थाके कारण हम विवशतासँ शाकाहारी बनलियै, लेकिन अन्तमे एकरा बहुत पसन्द कर’ लागलियै।




32. हमर सन्देश, विशेषत: युवाके लेेल छै, उ अगल सोचबाक साहस राखू । आविष्कार करबाक साहस राखू, अनजान रस्ता पर चलबाक साहस राखू, असम्भवकेँ खोजिके समस्या पर विजय हेबाक साहस राखू।




33. भविष्यमे सफलताके लेल श्रृजनशीलता सबसँ जरूरी गुण छै, आओर प्राथमिक शिक्षा उ समय अछि जखन शिक्षक उच्च स्तरमे बच्चाकेँ श्रृजनशीलता आनि सकै छथि।



34. महान शिक्षक ज्ञान, जोश आओर करुणासँ निर्माण होइ छै।



35. जखन एगो हथियार भरल देशसँ घेराएल रहै छै,तँ स्वंयकेँ तयार कर’ परैत छै।


36. राष्ट्रपतिके पदसँ सबसँ कठिन काम हमरा लेल छलै, अदालतसँ देल गेल मृत्यु दण्डकेँ पुष्टि कएनाइ।


37. युवासभकेँ Jobs Seeker सँ Job Generator बनबाक लेल सक्षम हुअ परत ।


38. अन्ततः, वास्तविक अर्थमे शिक्षा सत्यके खोज छियै। ई ज्ञान आओर आत्मज्ञानसँ भ’ क’ जाएबला अन्तहीन यात्रा अछि।


39. किसी भी मिशन की सफलता के लिए, रचनात्मक नेतृत्व आवश्यक है।

Motivational Quotes in maithili


40 कनियेटा लक्ष्य अपराध छियै।


41. कविता आपार ख़ुशी वा गहिर दु:खसँ निकलै छै।


42.हमरा पक्का विश्वास छै जे जा धरि कोइ असफलताके कडा गोटी नइँ चिखने होइ, उ सफलताके लेल पर्याप्त महत्वाकांक्षी नइँ बनि सकै छै।



43. गामके क्षमताद्वारा नयाँ बजार बनाओल जा सकै छै, जे रोजगारीमे वृद्धि करतै।



44. जँ हमर सफलताक परिभाषा मजबुत छै, तँ अफलता कहियो हमरासँ आगु नइँ बढि सकैछै।



45. परेशानी आ चुनाैतीसभके रूपमे भगवान अपनासभके आगु बढबाक अवसर दै छै। अइ दु आरे जखन अहाँके आशा आ सपना मिट जाए तँ आओर चुनाैतीकेँ खोज करू।



46. शिखर धरि पहुँबाक लेल शक्ति चाही, चाहे उ सगरमाथाके शिखर होइ या अहाँक पेशाके ।


47. अपन पहिल जीतके बाद आराम नइँ करू किए कि जँ अहाँ दोसर बेर हारि जेबै, तँ बहुतेके मुँहसँ इ कहैलेल तयार रहत उ जीत अहाँके भाग्य रहए।


48.“स्वयंके समावेश कएने बिना अहाँ सफलता प्राप्त नइँ करि सकबे, आओर स्वंयके समावेश कएलाक बाद अहाँ असफल भइये नइँ सकै छियै।

Maithili  Motivational Quotes


49.“महान लोकके महान सपना सदैव उत्कृष्ट रहै छै।”


50.“जिन्दगीमे सफलताक आनन्द लेबाक लेल, मुश्किलके भेनाइ बहुत जरुरी अछि।”


51.“अपनासभके सङ्ग समान बुद्धि नइँ छै। मुदा बुद्धिके विकसित करबाक लेल समान अवसर सबके सङ्ग छै।


Best Books of Abdul Kalam

  • Wings of Fire: An Autobiography of Abdul Kalam
  • Meri Jeevan Yatra 
  • Forge Your Future

buttons=(Accept !) days=(20)

Our website uses cookies to enhance your experience. Learn More
Accept !