Swami Vivekanand Inspirational Quotes in Maithili । स्वामी विवेकानन्द मैथिली विचारमे ।

 

Swami Vivekanand Inspirational Quotes in Maithili

Swami Vivekanand Inspirational Quotes in Maithili

1. उठ , जाग आओर  ता धरि नइँ रूक जा धरि लक्ष्य नै प्राप्त भ जाए

 

2. उठ हमर शेर ! आ ई भ्रमणके हटा दिही जे तु भेडा छी, तु एक अमर आत्मा छी, तु मुक्त छी,धन्य छी,तु सनात छी, तु तत्व नइँ छी  आ नइँ त शरिरे छी, तत्व तोहर सेवक छियो तु तत्वके सेवक नइँ

 

3. व्रह्माण्डके सब शक्तिसभ पहिनेसँ अपनेसभके छियै, आओर अपन आखिँपर हात राखि लैत छियै आ फेर कानैत छियै कि कतेक अन्हार छै दुनियाँ !

 

4. जेना अनेक ठामसँ बहैबला धारा समुन्द्रमे जा क’ मिल जाइ छै , तहिना मनुख्ख चलि रहल हरेक रस्ता , चाहे ओ नीक रहए या  खराब भगवान धरि पहुँच जाइ छै

 

5. किनको निन्दा नइँ करी,जँ अहाँ सहयोगके लेल हात बढा सकैत छी, त जरूर बढाउ, जँ नइँ बढा सकैत छी ,त अपन हात जोरू,अपन भाएके आशीर्वाद दियौ, आऔर ओकरा अपन रस्तापँ जाए दियौ


Swami Vivekanand Inspirational Quotes in Maithili 

6. कहियो ई नइँ सोचब जे आत्माक लेल किछू असम्भ छै,एहने सोचनाइ सभसँ नम्हर अधर्म छियै,जँ किछू पाप छै त ओ इहे छियै “हम कमजोर छी या तु कमजोर छी या त फलना कमजोर छै

7. जँ धन केकरो भलाइमे,मदतमे खर्च करी त ओकर किछू मुल्य छै ! नइँ त मात्र पापके ढेर छियै जाहिसँ जतेक जल्दी मुक्ति मिलतै, ओतेक नीक रहत

 

8. एक शब्दमे कहु तँ, अहीँ परमात्मा छियै

 

9. ओ व्यक्ति अमरत्व प्राप्त कएने अछि , जे संसारक कोनो वस्तुसँ व्याकुल नइँ हएत ।

 

10. अपनासभ आइ जे छी से अपन सोचके कारण छी , एहि लेल एकटा बातमे ध्यान राखब अहाँ की सोचैए छी ? शब्द दू नम्बरमे अबैए छै , पहिल नम्बर छी विचार , जे बहुत आगू ल’ क’ जाइ छै


Swami Vivekanand Inspirational Quotes in Maithili  

11. जा धरि अहाँ स्वंयपँ विश्वास नइँ करि सकबै ता धरि अहाँ भगवानपँ सेहो विश्वास नइँ करि सकबै

 

 12. सत्यकेँ हजार तरिकासभसँ बताएल जा सकैछै , तइयो सत्य एक रहै छै

 

13. दुनियाँ व्ययामशाला छियै , जत हमसभसँ स्वंयकेँ मजबूत बनाबैके लेल आबैए छियै

 

14. एहि दुनियाँमे भिन्नता कोनो न कोनो स्तर (Level) पँ रहै छै , न कि किसिमसँ , किए की सभ किछूकेँ रहस्य छियै “एकात्म”


15. जतेक अपनासभ बहार निकैलके लोककेँ भलाइ करबै, अपनासभके हृदय ओतने पवित्र हएतै,आऔर भगवान ओइमे रहतै

Inspirational Quotes Of Swami Vivekanand  in Maithili    

16. बाहरी स्वभाव , बस्स भितरिया स्वाभावके बड़का रूप छियै

 

17. भगवानकेँ परम प्रियके रूपमे पूजा करबाक चाही,एहि जन्म या अगिला जन्मोसँ बढ़िके

 

18. जँ स्वंयपँ विश्वास करैए लेल, अधिक गहिरसँ पढ़ैए लेल आओर अभ्यास करैए सिखाएल गेल रहतियै तँ हमरा विश्वास छै, पाप आ दु;खके एक बहुत बड़का हिस्सा बिला गेल रहतियै

 

 19. अपनासभके कर्तव्य अछि जे अपनासभ हरेकके ओकर लक्ष्य प्राप्तिक लेल संघर्षमे ओकर प्रोत्साहित करी,सङ्गे सङ्ग ओकर लक्ष्यकेँ सत्यके रस्तापर आनैएके प्रयास करी

 

20. एक विचार ले, ओकरा अपन जीवन बना ले –ओकरे बारेमे सोच , ओकरे सपना देखिही, ओकरे विचार करिके जी , अपन दिमाग,नस-नस,देहके हरेक भागमे ओकरे विचारमे डुबि जाएलेल दिही,आऔर बाकीसभ विचारकेँ कातमे राखि दिही, एह सफल हएबाक तरिका छियै

 

21. जखनि हम जानि लेलियै कि हरेक मानवके शरीर रूपी मन्दिरमे भगवान रहै छथि,तखने हरेक व्यक्तिके श्रद्धासँ  देख लागलियै , ठीक ओएह समय हम बन्धनसभसँ मुक्त छी,बन्धन नष्ट भ गेलै,आ हम स्वतन्त्र छी ।

 

Inspirational Quotes Of Swami Vivekanand  in Maithili 

22. जखन कोनो विचार पूर्ण रूपसँ दिमागपर अधिकार करि लएत छै ,तखन ओ  भौतिक  वा मानसिक रूपेँ  वास्तविक अवस्थामे बदलि जाइत छै

 

23. भगवानकेँ कत’ खोजि सकबै ? जँ अहाँ अपन हृदयमे आ प्रत्येक प्राणीमे नइँ देखि सकलियै त !

 

24. तोरा भितरसँ बाहारके दिस विकसित हुअके छाै, तोरा कियो पढ़ा नइँ सकतौ , तोरा कियो आध्यात्मिक नइँ बना सकतौ, तोहर आत्माके बाहेक आऔर तोहर गुरू कियो नइँ छौ 

 

25. अहाँ फुटबलके माध्यमसँ स्वर्गके बेसी  लग जाए सकबै,बिना गीताकेँ अध्ययन कएने

 

Quotes Of Swami Vivekanand  in Maithili

26. दिल आ दिमागके लड़ाइमे सदैव दिलके सुनू

 

27. कोनो दिन,जाहिया अहाँकेँ कोनो समस्या नइँ आएत,त अहाँ सुनिश्चित भ जाउ जे अहाँ गलत रस्तापर चलि रहल छियै

 

28. स्वतन्त्र हएबाक साहस करू,जत धरि अहाँक विचार जाइए ओत धरि जाइके साहस करू आओर ओकरा अपन जीवनमे उतारैएके साहस करू

 

29. कोनो चीजसँ नइँ डर , तु अद्भुत काम करबिही,निडरते छियै जे एक क्षणमे परम आनन्द आनि दैत छै ।

 स्वामी विवेकानंदके विचार मैथिलीमे (Vivekanand Quotes ) 

30. प्रेम फैलावट छियै,स्वार्थ सिमितता छियै,एहि लेल प्रेम जीवनके सिद्धान्त छियै, जे प्रेम करैत छै ओ जियै छै, जे स्वार्थी छै से मरैए छै । तँए प्रेमके लेल प्रेम कर,किएकी जियैकेँ इएह एक मात्र सिद्धान्त छै,जेना कि तु साँस लैत छी । 

 

31. सभसँ बड़का धर्म छै , अपन स्वभाव प्रति सच्चा भेनाइ,अपनापर विश्वास करू

 

32. सही सफलता आ आनन्दके सभसँ बड़का रहस्य छियै ; जे बदलामे किछु नइँ मागै छै, पूर्ण रूपेसँ नि:स्वार्थ व्यक्ति, सभसँ सफल छै

 

33. जे आगि अपनासभकेँ गर्मी दैत छै,से अपनासभकेँ नाशो क सकैत छै ,ई आगिके दोष नइँ छियै

 

34. ओ मात्र जीवित छै,जे दोसरके लेल जी रहल  छै

 

35. शक्ति जीवन छियै,कमजोरी मृत्यु छियै, फैलावट जीवन छियै,समितता मृत्यु छियै,घृणा मृत्यु छियै ।


स्वामी विवेकानंदके विचार मैथिलीमे (Vivekanand Quotes ) 

36. हमसभ जे रोपै छियै से काटै छियै, हमसभ अपन भाग्यके विधाता अपने छी।हावा बहि रहल छै, जकर जहाजके पाल खुलल छै , से हावासँ टकराबै छै,आऔर अपन दिशामे आगू बढ़ि जाइ छै,मुदा जकर पाल बान्हल छै से हावाके नइँ पकड़ि पाबै छै। कि एहिमे हावाके गलती छै ? हमसभ अपन भाग्य अपने बनबै छी।

  

37. नइँ मागं नइँ छोड़ जे, आबै छौ से लड आ ले ।

 

38. जे शरिर,बुद्धि आ आध्यात्मिक रूपसँ कमजोर करि रहल अछि ओकरा एखने जहर जकाँ त्यागि करू

 

39. एक समयमे एकेटा काम करू,ओहि काममे अपन पूरा आत्माकेँ ओहिमे द दियौ ,बाकी सभ किछू भुलि जाउ

 

40. किछु नइँ पुछू , बदलामे किछू नइँ माङ्गू ,जे देनाइ छै ओ दियौ , ओ अहाँ धरि घुमिके फेर आएत,मुदा ओकर बारेमे अखनेसँ नइँ सोचू

 

Quotes Of Swami Vivekanand  in Maithili

41. तु जे सोचबिही सएह भ जएबिही , जँ तु अपनाकेँ कमजोर सोचैत छी,त तु कमजोर बनि जएबिही,मुदा अपनाकेँ तु शक्तिशाली सोचबिही त तु शक्तिशाली बनि जएबिही।

 

42. मनुखके सेवा करू, भगवानके सेवा करू

 

43. दिमागके शक्ति सूर्यके किरणसभ जकाँ छै,जखन केन्द्रित होइछै ,चमकि जाइछै

Quotes Of Swami Vivekanand  in Maithili

44. आकांक्षा, अज्ञानता, आ असमानता – ई बन्धनके  त्रिमूर्तिसभ छियै

 

45. भगवानसँ प्रेम बन्धन वास्तवमे एना रहै छै जे आत्माकेँ बान्है नइँ छै बरू ओकरा बन्धन मुक्त करि दैत छै

 

46. जतेक कोनो भीड़ एक सदीमे करि सकैत छै, ओहिसँ बेसी काम किछु सत्य, इमानदार आ उर्जावान पुरूष तथा महिला एक सालमे करि सकैत छै।

 

47. जखन लोक अहाँकेँ गारि दै, अहाँ हुनका आशिर्वाद दियौ , सोचू अहाँके झूठौका घमण्डकेँ बाहार निकालिके अहाँके कते सहयोग कएलक।

 

48. धन्य छथि ओ लोक  जिन्कर देह दोसरके सेवा करैएमे नष्ट भ जाइ छै

 

49. जीवनमे बेसी सम्बंध भेनाइ जरूरी नइँ अछि,जे सम्बंध अछि ओहिमे जीवन रहबाक चाही

 

Quotes Of Swami Vivekanand  in Maithili

50. सम्भवके सीमाकेँ जानैएके एकटा मात्र उपाय अछि असम्भवोसँ आगू बढ़ि जेनाइ

 

51. प्रेम ओ चीज अछि जे बच्चामे फ्रीेमे भेटै छै,जवानीमे कमाए पड़ै छै मुदा बुढ़ारीमे माङ्ग पड़ै छै

 

 

 


buttons=(Accept !) days=(20)

Our website uses cookies to enhance your experience. Learn More
Accept !